व्हाट्सएप से जुड़ने के लिए यहां क्लीक करें
समस्तीपुर जिला अन्तर्गत मैथिली मिथिलाक लेल सतत समर्पित विद्यापति परिषदक आम सभा बैसार आयोजित
दूरबीन न्यूज डेस्क। समस्तीपुर जिला अन्तर्गत मैथिली मिथिलाक लेल सतत समर्पित विद्यापति परिषदक आम सभा बैसार दिनांक 13.4.2025 चैत पूर्णिमा रविवार केर स्थानीय काशी पुर अवस्थित विद्वान अधिवक्ता श्री राजेश कुमार झा केर आवासीय परिसर क सभाकक्ष में आयोजित भेल। पूर्व निर्धारित कार्यक्रम अनुसार बैसार मे परिषदक संगठनात्मक चुनाव सम्पन्न भेल जेकर अनुमोदन आजु दिनांक 16.4.2025 केर सायं बैसार क कार्यवाही क स्वीकृति उपरांत सम्पन्न भेल।


सर्वसम्मति सं विद्यापति परिषदक नवगठित- नवचयनित पदधारकक सूची निम्नवत अछि——
संरक्षक- 1.डा अरूण झा ,
2.डा. गौरीशंकर झा,
3.श्री हरेराम चौधरी,
4. श्री विश्वनाथ झा,
5. डा. उमाशंकर वत्स
अध्यक्ष- डा. नरेश कुमार ‘विकल’


उपाध्यक्ष-1. श्री विश्वनाथ मिश्र
2 .श्री रामबली झा
3.श्री राकेश कुमार चौधरी
सचिव- डा. संजय कुमार झा
संयुक्त सचिव-1.श्री अशोक कुमार झा
2.श्री मनोज कुमार झा
3.श्री राजेश कुमार झा
संगठन सचिव- श्री ललन पाठक
कार्यालय सचिव-श्री शिवम चौधरी


कोषाध्यक्ष-श्री नवीन कुमार झा
कार्यकारिणी सदस्य-
1.श्री विमलेंदु कुमार झा
2. श्री रवीन्द्र कुमार चौधरी
3.श्री नागेन्द्र झा
4.श्री हरिश्चन्द्र झा
5 . रौशन कुमार ठाकुर
6.श्री सुनील कुमार झा
7.श्री ब्रजनंदन राय


नवचयनित पदधारक जगतजननी जानकी जी केर भाषा संस्कृति आओर परस्पर समभाव सहयोगक सतत सारस्वत शौर्य सहित सर्वदा संलग्न रहबाक वचनबद्धता क प्रति समर्पित छथि।
श्रद्धांजलि समर्पित—-
विद्यापति परिषद समस्तीपुर, संस्थाक उद्देश्य क प्रति सदैव समर्पित पंचतत्व विलीन ज्ञात अज्ञात सदस्य व सहयोगी जन सहित स्व. डा. एन एल झा, डा आर आर झा, भाग्य नारायण राय, दिवस नारायण झा क स्मृति में दू मिनटक मौन धारण क श्रद्धांजलि अर्पित कयल।





